Madhab Kumar Jha's Blog – March 2011 Archive (19)

बुझियोक मिथिला छैक ...

देहरी के टांट पर जौं पानक लत्ती होए

ते बुझियोक मिथिला छैक...

दलानक मचान पर जौं तिलकोकर छत्ती होए

ते बुझियोक मिथिला छैक...



जतेय मैटक करेज सों वैदेही जनमैय ये

जतेय याज्ञवल्क्य कमंडल से अमृत छाल्कैत ये,



पान-मखान से पाहुँनक स्वागत होए

ते बुझियोक मिथिला छैक...

गामक गोप से जौं मधुर छलके

ते बुझियोक… Continue

Added by Madhab Kumar Jha on March 29, 2011 at 12:26pm — No Comments

पेट किया जरैत

पेट किया जरैत

जाईछी परदेश धनि छोइडक अपन देस,

भेजब कमाके धन रुपैया मीठमीठ सनेश,



जग केर रित सजनी आब अहाँ जानु,

जिनगीके चौबटिया पर येना नए कानु ,



प्रीत स जौं चलैत जिनगी त पेट किया जरैत,

अन्न विन दुनियां में लोग किया मरैत,



अहाँ विन सजनी हम जिव नए सकैत छी,

मुदा भूखे जौ पेट जरत त प्रीतो नए सुहाय्त,



गरीव भक जन्म लेलौ अई पत्थर के संसार में,

जिनगीक नाव अटकल रहिगेल मजधार में,



हम नाव बनब अहाँ पतवार बनू,संग संग चलू,

हम नवका…

Continue

Added by Madhab Kumar Jha on March 29, 2011 at 12:23pm — No Comments

एकटा पत्र छोटका भाय के नाम......

सुने रे रानू लिखेय छौ भानु

हमर हाल छौ उत्तम,

तोहर हाल के हम नै जानी

भला करउ पुरुषोत्तम।



अपन गाम में छुटी गेलों ये,

हमर एकटा अंगा

ओ अंगा के कका लगाय के,

पठा दिए दरभंगा।



बड़की भौजी से तू कहिये

याद बहुत आबय ये,

हुनकर चक्का,सैजमन, आ तिलकौर

बड़ा भावय ये।



माय से कहिये कानय ले नै

पूरा हेतय ईक्षा,

जल्दी हमहूँ बीडीओ बनबइ

पास करय दे परीक्षा।



मिरिया माय के हाल तू हमरा

सेहो अलग से बतहिये,

कनकिरबा कतबा टा… Continue

Added by Madhab Kumar Jha on March 29, 2011 at 12:21pm — No Comments

मैथिलि अकादमी

मैथिलि अकादमी, (पटना) के सोजन्य स २७ अप्रैल २०११ क कालिदास महाविद्यालय उचैठ(दुर्गास्थान), बेनीपट्टी,मधुबनी (बिहार) के पवन भूमि पर विशाल सांस्कृतिक कार्यक्रम के आयोजन अकादमी के अध्यक्ष मिथिला के चर्चित रचनाकार, कलाकार, संचालक, आ मैथिल प्रेमी श्री कमलाकांत झा (फोन न.०९४३१२५३६६०)के नेतृत्व में कायल जा रहल आइछ, मात्र १ वर्ख में अखन तक मैथिलि अकादमी पटना द्वारा मैथिलि के बहुत राश विलुप्त पुष्तक पुष्तिका के प्रकाशन, मैथिलि धरोहर नाटकक मंचन, पुष्तक मेला के आयोजन, अवं बहुत राश सांस्कृतिक… Continue

Added by Madhab Kumar Jha on March 29, 2011 at 12:19pm — No Comments

नीक परंपरा वा प्रथाके संरक्षण कोना?

आउ, स्मरण करी अपन पुरखा के पहिले, प्रणाम करी हुनक महान्‌ आत्माकेँ पहिने। किछु अति आवश्यक कार्य करय हेतु हुनका लोकनिक सांगठनिक व्यवहार जे आइयो हमरा सभक लेल तेतबा आवश्यक अछि - ताहिके ‘नीक परंपरा वा प्रथा’के शीर्षक दैत हम एहि सूत्रपर अपने लोकनिसँ एकर संरक्षण हेतु उपायके विचार माँगि रहल छी।



अध्ययन सँ पता चलैछ जे पुरखा पोखरि खुनाबैत छलाह जे स्नान-ध्यान-कपड़ा-लत्ता-सर-सफाई आदिक लेल समग्र समाज हेतु कल्याणकारी पोखरि पानिक प्रमुख स्रोत छल। एतेक तक जे घरमें सीधा लगैत छल… Continue

Added by Madhab Kumar Jha on March 29, 2011 at 12:17pm — No Comments

मिथिला के बेटी एक बेर फेर करलखिन माँ मैथिलि के मान ऊँचा

मिथिला के नाम एक बेर फेर रोशन करलखीन हुनकर बेटी, मिथिला के नाम के एक बेर फेर पूरा भारत में ऊँचा कए के प्रतिभा जी साबित कए देलक की अखनो तक मिथिला में प्रतिभा के कमी नए ये। मधुबनी जिले के बेनीपट्टी प्रखंड के जरैल गाँव आ वर्तमान में स्थानीय बिनोदानंद झा कालोनी निवासी प्रतिभा कुमारी इग्नू द्वारा संचालित पोस्ट ग्रेजुएट डिप्लोमा इन रुरल डेवलपमेन्ट कोर्स में प्रतिशत 71.74 अंक प्राप्त कए के गोल्ड मेडल प्राप्त केलखिन ये।दरभंगा प्रक्षेत्र में गोल्ड मेडल पाबय वाली ई पहिल छात्रा ये जिनका ३ अप्रेल… Continue

Added by Madhab Kumar Jha on March 29, 2011 at 12:15pm — No Comments

दहेज मुक्त मिथिला

अपने लोकनि सँ साग्रह निवेदन जे एहि समुदायकेर स्थापनाके उद्देश्य पुर्ति हेतु अपन अमूल्य सहयोग निरंतर विचार प्रवाह द्वारा दियौक। जखन कि किछु लोक बहुत हतोत्साहित भऽ के आरोप लगाबैत छथि जे जिनकर विवाह भऽ गेल छनि ओ मात्र दहेज प्रथाके उन्मूलन हेतु एतय हरान-परेशान छथि... लेकिन इ सभ केला सऽ कोनो समाजमें असर नहि पड़ि रहल छैक.... लेकिन हम हुनका लोकनि सँ कहय लेल चाहैत छी जे विचार प्रवाह एक एहेन क्रान्ति लाबि सकैछ जाहि सँ खास कऽ के युवक-युवतीके विचार बदलल जा सकैत अछि। तेतबा नहि, युवक-युवती आपसमें एक… Continue

Added by Madhab Kumar Jha on March 29, 2011 at 12:11pm — No Comments

कतेक दिन चलत?

बिहार मे नीतीश कुमार के अएला के बाद माहौल त किछ सुधरल अछि. मुदा अखनो ई हाल नहि कहल जा सकैत अछि जे लोक अपना के पूरा सुरक्षित मानय छथिन्ह. अखनो काफी सुधार के जरूरत अछि. ई जरूर अछि जे कानून-व्यवस्था मे किछ सुधार आएल अछि.

लोक मे एहि विश्वास के जगाबय लेल दरभंगा प्रशासन के तरफ सं एकटा कदम उठाएल गेल अछि. दरभंगा मे एहि बीच राति मे लूटपाट… छीनछान के कइटा घटना भ गेल. एहन घटना दरभंगा स्टेशन पर ट्रेन सं उतरि कs घर जाए वाला लोक के संग बेसि भेल अछि.…

Continue

Added by Madhab Kumar Jha on March 29, 2011 at 11:26am — No Comments

बिहार मे कुंभ

सिमरिया कुम्भ की तैयारी को लेकर दिल्ली के बिडला मंदिर वाटिका में रविवार को अर्धकुम्भ का जोरदार उद्घोष हुआ. सर्वमंगला धाम सिमरिया के संतों ने सामूहिक स्वस्तिवाचन से कार्यक्रम का विधिवत शंखनाद किया. मंगलाचरण के पश्चात मंचासीन अतिथियों ने सामूहिक दीप प्रज्ज्वलित कर संगोष्ठी का शुभारम्भ किया.



मुख्य अतिथि के तौर कार्यक्रम में उपस्थित के एन गोविन्दाचार्य ने कुम्भ के महत्व पर प्रकाश डाला. साथ ही…

Continue

Added by Madhab Kumar Jha on March 29, 2011 at 11:24am — No Comments

मिथिला पेंटिंग केर बढ़ावा

बिहार सरकार मधुबनी पेंटिंग… मिथिला पेंटिंग के बढ़ावा देबय लेल पूरा जोर लगाबय जा रहल अछि. सरकार के कोशिश एकरा दुनिया भर मे स्थापित करय के… लोकप्रिय बनाबय के आओर एकर कलाकार के एकटा नवका पहचान दिलाबय के अछि.

एहि लेल सरकार एहि मास 22 मार्च सं साल भर मनाबय जा रहल बिहार उत्सव के मौका पर देश भर मे मिथिला पेंटिंग के जमिsक प्रचार-प्रसार करत. पटना के संग दिल्ली आओर दोसर शहर मे प्रदर्शनी लगाएल जाएत.…

Continue

Added by Madhab Kumar Jha on March 29, 2011 at 11:21am — No Comments

उच्चैठ मे विद्यापति समारोह

मिथिलाक पावन धरती पर एकटा पवित्र स्थल मे सं एक उच्चैठ भगवती स्थान…दुर्गास्थान मे मैथिली गीतनादक बयार बहय वाला अछि. मधुबनी जिला के बेनीपट्टी के पास उच्चैठ मे रविदिन 27 मार्च के विद्यापति स्मृति पर्व समारोह होबय जा रहल अछि.

विद्यापति स्मृति पर्व समारोह मैथिली अकादमी पटना के तरफ सं भ रहल अछि.…

Continue

Added by Madhab Kumar Jha on March 29, 2011 at 11:19am — No Comments

मैथिली के गर्त मे लs जाए लेल साहित्यकार जिम्मेदार ?

मैथिली भाषा के आई देश-दुनिया मे कि हाल भ गेल अछि ई कहय के गप नहि अछि. देश-दुनिया तं छोड़ु मिथिला मे सेहो मैथिलीक हाल नीक नहि अछि. बुढ़ बीमार लोक जकां केहुना क दम लs रहल अछि. रोजी-रोटी के कारण लोक मैथिली सं विमुख भ रहल छथिन्ह. हमरा जैसन जे लोक बोलय जानय छथिन्ह लिखय नहि जानय छथिन्ह. हम त किछ कोशिश करि लैत छी. सैकड़ों-हजारों एहन लोक छथिन्ह जे लिखय के कोशिशों नहि करय छथिन्ह.
मुदा आई अहां बिहार के…
Continue

Added by Madhab Kumar Jha on March 29, 2011 at 11:16am — 2 Comments

animation institute, architectural animation

An animation and film company provide commercial and corporate ads with Web Design, 2D Animation, 3D Animation ,Multimedia Institute , 2D Animation, 3D Animation, Internet, Cd-Presentation, Web development, Web Designing Graphic Designing

<a herf="…

Continue

Added by Madhab Kumar Jha on March 14, 2011 at 5:00pm — No Comments

ओतबे करय छि जननी, जतबे अहाँ कहई छि

ओतबे करय छि जननी, जतबे अहाँ कहई छि



ओतबे करय छि जननी, जतबे अहाँ कहई छि



माँ मैथिलि अहाँ के, चरण में हम परल छि



ओतबे करय...........................................



अहिं छि माँ जगजननी, अहिं छि माँ जगदम्बा



सीता सेहो अहिं छि ,अहिं छि काली अम्बा



हमरा किछु नै बुझल, सबटा अहिं करय छि



माँ मैथिलि ...........................................



हमरा लग नै किछु अछि, बस पान आर... मखान के



पिछरल छि सब ठाम, निश्तेज… Continue

Added by Madhab Kumar Jha on March 12, 2011 at 10:44am — No Comments

अहो भाग्य अछि हमर जन्म लेलौ मिथिला में !!

अहो भाग्य अछि हमर जन्म लेलौ मिथिला माए के कोरा में !!
एहन निश्छल आ बत्सल प्रेम भेटत नए चाहुओरा mइ
प्रकृति केर सुन्दर उपहार ,संस्कृति केर बिराट संसार !!
मानबता केर सर्बोतम ब्याबहार मिथिलाक मुलभुतआधार !!
राम रहीम मंदिर मस्जिद दसहरा होई या ईद क रित !!
मिथिलावासी हिदू होई या…
Continue

Added by Madhab Kumar Jha on March 11, 2011 at 5:26pm — No Comments

खास हुई महँगाई...!

ND


महँगाई को वहाँ देख मुझे बहुत आश्चर्य हुआ। मैं बहुत देर से फुटपाथ पर खड़ा था। सब्जी वाले वहीं बैठे हुए थे। मैं लगातार कोशिश कर रहा था कि वे भाव में एकाध रुपए की छूट दे दें या बहुराष्ट्रीय कंपनी के तर्ज पर आलू के साथ धनिया या मिर्ची मुफ्त दे दें। पर वे टस से मस नहीं हो रहे थे।… Continue

Added by Madhab Kumar Jha on March 11, 2011 at 5:17pm — 1 Comment

एक दुकान के बाहर लिखा था: 'इन्सानों की तरह बात करने वाला कुत्ता बिकाऊ है.'

एक आदमी दुकानदार से जाकर बोला: 'मैं उस कुत्ते को देखना चाहता हूं...' दुकानदार ने कहा: 'साथ के कमरे में बैठा है, जा कर मिल लो।'



ग्राहक उस कमरे में गया। कुर्सी पर एक हट्टा-कट्टा कुत्ता बैठा था. पूछा: 'क्यों भई, तुम यहां क्या कर रहे हो?'



कुत्ते ने बताया: 'कर तो मैं बहुत कुछ सकता हूं, लेकिन आजकल इस दुकान की रखवाली करता हूं. इससे पहले अमेरिका के जासूसी महकमे में काम करता था और कई खूंखार आतंकवादियों को पकड़वाया... फिर मैं इंग्लैंड चला गया जहां पुलिस के लिए मुखबरी करता था. एक साल… Continue

Added by Madhab Kumar Jha on March 10, 2011 at 4:29pm — 2 Comments

Umari Village

Umari Village , Baba Dihbar Mandir Umari , Nabi Pokhar , Durga Puga , Umari in Mithanchal , Umari in Jhanjharpur , Umari in Madhubani

Added by Madhab Kumar Jha on March 7, 2011 at 12:30am — 2 Comments

Monthly Archives

2011

© 2013   Created by Shalu Sharma.

Badges  |  Report an Issue  |  Terms of Service